बिहार कए मेट्रो स दूर रखबा लेल केंद्र बनाउत नव कानून

बिहार कए मेट्रो स दूर रखबा लेल केंद्र बनाउत नव कानून

पटना । भारत में ट्रेन एलाक महज 20 साल बाद तिरहुत मे ट्रेन आबि गेल छल,  मुदा मेट्रो बिहार मे कहिया आउत इ ककरो पता नहि अछि । पटना मे मेट्रो क सपना सपने रहत । केंद्र क मोदी सरकार एहि लेल प्रयास शुरु क देलक अछि । मेट्रो क होड़ कए कम करबाक बहाना बना केन्द्र बिहार मे मेट्रो परियोजनाक प्रस्‍ताव ता धरि गताल खाता मे ध देबाक बाट बना रहल अछि जा धरि विकसित राज्‍य मे मेट्रो परियोजना पूरा नहि भ जाइत अछि । एहन मे कहल जा सकैत अछि जे नहि राधा कए न मन घी होएत नहि राधा नचतीह । उडान परियोजना मे सेहो केंद्र पहिल खेप मे बिहार कए बिसरी गेल आ आब मेट्रो क मामला मे बिहार लेल दरबाजा बंद करबा लेल कानून बना रहल अछि । सरकार एकटा नब कानून बना रहल अछि जे मेट्रो शहर क दौड़ में दुलकी मारैत बिहार कए कखनो लंगड़ी लगा देत ।

जानकारी क अनुसार केन्द्र सरकार दिल्ली सहित आन राज्‍य मे मेट्रो रेल परियोजना कए पूरा करबाक लेल एकटा कानून बनाबे जा रहल अछि । सरकार स्पष्‍ट केने अछि जे जाधरि कानून बनेबाक प्रक्रिया पूरा नहि कए लेल जाएत ताधरि कोनो  मेट्रो रेल परियोजना कए मंजूरी नहि भेटत ।

केन्द्रीय शहरी विकास मंत्रालय बिहार, उत्तर प्रदेश, राजस्थान आओर मध्यप्रदेश संगे आन राज्य स मेट्रो रेल परियोजना क मंजुरी दिएबाक प्रस्ताव कए फिलहाल ठंडा बस्ता  मे डालि देने अछि ।

संगे राज्य  कए हिदायत देने अछि जे जाधरि मेट्रो रेल विधेयक 2017 लागू नहि होएत ताधरि कोनो भी नब प्रस्‍ताव मंजूरी क लेल केन्द्र सरकार लग नहि भेजए । बताओल जा रहल अछि जे एक दर्जन स बेसी शहर मे मेट्रो रेल शुरू करबाक लेल केन्द्र सरकार कए प्रस्ताव पठाउल गेल अछि । एहि क लेल केन्द्र  सरकार मेट्रो परिचालन लेल राष्ट्रीय स्‍तर पर एकटा कानून बनेबाक फैसला लेलक अछि। फिलहाल इ अधि‍नियम कहिया लागू होएत आ कहिया धरि बिहारक लोग मेट्रो पर चढ़बाक सपना क धरातल पर देखत ई कहब मुश्किल अछि । फिलहाल त एतबे कहि सकय छी जे बिहार मेट्रो लेल दिल्ली अखन दूर अछि ।

Comments