बिहार कए मेट्रो स दूर रखबा लेल केंद्र बनाउत नव कानून
बिहार कए मेट्रो स दूर रखबा लेल केंद्र बनाउत नव कानून पटना । भारत में ट्रेन एलाक महज 20 साल बाद तिरहुत मे ट्रेन आबि गेल छल, मुदा मेट्रो बिहार मे कहिया आउत इ ककरो पता नहि अछि । पटना मे मेट्रो क सपना सपने रहत । केंद्र क मोदी सरकार एहि लेल प्रयास शुरु क देलक अछि । मेट्रो क होड़ कए कम करबाक बहाना बना केन्द्र बिहार मे मेट्रो परियोजनाक प्रस्ताव ता धरि गताल खाता मे ध देबाक बाट बना रहल अछि जा धरि विकसित राज्य मे मेट्रो परियोजना पूरा नहि भ जाइत अछि । एहन मे कहल जा सकैत अछि जे नहि राधा कए न मन घी होएत नहि राधा नचतीह । उडान परियोजना मे सेहो केंद्र पहिल खेप मे बिहार कए बिसरी गेल आ आब मेट्रो क मामला मे बिहार लेल दरबाजा बंद करबा लेल कानून बना रहल अछि । सरकार एकटा नब कानून बना रहल अछि जे मेट्रो शहर क दौड़ में दुलकी मारैत बिहार कए कखनो लंगड़ी लगा देत । जानकारी क अनुसार केन्द्र सरकार दिल्ली सहित आन राज्य मे मेट्रो रेल परियोजना कए पूरा करबाक लेल एकटा कानून बनाबे जा रहल अछि । सरकार स्पष्ट केने अछि जे जाधरि कानून बनेबाक प्रक्रिया पूरा नहि कए लेल जाएत ताधरि कोनो मेट्रो रेल परियोजना कए मंजूरी नह